बेगूसराय : बहिनक संग छेड़खानी केर आरोप म' चाकूबाजी, दू गोटा घायल जाहिमे एक के हालत गंभीर

बेगूसराय। 28 अक्टूबर। बहिनक संग छेड़खानी केर आरोप म' दू भाई क' अप्पन पड़ोसि सँ माईरपीट करब महग पड़ल। माईरपीट के बाद आक्रोशित पड़ोसि सभ पीड़िता के दुनू भाई क' चाकू माएर घायल क' देलनि। एहि खूनी संघर्ष म' घायल दुनू भाई म' एक के हालत गंभीर बताओल जे रहल अछि। 

प्राप्त खबैर केर मुताविक मुफस्सिल थाना क्षेत्र के सांख गाम म' दू पड़ोसि के बिच भेल झगड़ा के एहि घटना म' एक बहिन अप्पन भाई मो. शमशेर आ मो. जमशेद सँ छेड़खानी केर शिकायत केलि। शिकायत भेटते आक्रोशित दुनू भाई पड़ोसी मोहम्मद शब्बीर स' एहि बाबत बात केलनि। मुदा, आरोप लगबैते शब्बीर उग्र भ' गेला।

पीड़ित पक्षक आरोप अच्छी कि छेड़खानी के आरोप स' उग्र भेल शब्बीर द्वारा अप्पन आन साथी संग मील शमशेर आ हुनकर भाई मो. जमशेद क' चाकू माएर घायल क' देलनि। ओतहि दोसर पक्ष के कहब अछि कि एहि  दौरान शमशेर के भाई द्वारा चाकू स' जानलेवा हमला हमरा कायल गेल आओर एहि म' दुनू भाई घायल भेला। फिलहाल दुनू घायल भाई म' एक केर स्थिति गंभीर बनल अछि जिनका इलाजक लेल  पटना रेफर कायल गेल अछि। पुलिस एहि मामला के छानबीन क' रहल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने