मधेपुरा के 'पुरणधरनाथ मंदिर' परिसर म' बलत्कारी राम रहीम आओर हनीप्रीत के मूर्तिक भेल पूजा

मधेपुरा। 28 अक्टूबर। लोक आस्था व सूर्योपासना के चारि दिवसीय महापर्व छठी पूजा के मौका पर जिलाक पुरैनी प्रखंड मुख्यालय स्थित पुरणधरनाथ मंदिर परिसर म' छठी घाट पर गुरमीत राम रहीम आओर हनीप्रीत के सेल्फी लैत मूर्ति स्थापना के बाद ओता बबाल मचल अछि।  

प्राप्त खबैर केर मुताविक पुरैनी के पुरणधरनाथ मंदिर परिसर म' ओहि समय स्थानीय लोग आक्रोशित भ' गेलथि जखन हिंदु धर्म के कैको  देवी-देवता सभक बिच म' बलत्कारी गुरमीत राम रहीम के संग हनीप्रीत के  सेल्फी लैत मूर्ति देखकर देलक। ऐहिक बाद भेल विवाद म' स्थानीय प्रशासन क' सेहो लोग सभक आक्रोश केर सामना करे पड़लनि।

भेटल जानकारी के मुताबिक चारि दिवसीय महापर्व केर दौरान भक्ति-भाव म' लीन स्थानीय लोग सभ एहि बात पर ध्यान नहि देलनि मुदा, कैल्हि शुक्र दिन छठी समाप्त भेलाक बाद मंदिर परिसर म' बलत्कार के दोषी गुरमीत राम रहीम आओर कथित तौर पर हुनकर बेटी हनीप्रीत के सेल्फी लैत मूर्ति देख सभ कियो अवाक रही गेलथि। 

आक्रोशित लोग सभ आयोजक पर भक्ति-भाव संग खिलवाड़ करबाक  आरोप लगबैत खूब बबाल केलनि। ओनाकि ऐन वक्त पर पुरैनी के अंचल अधिकारी अशोक कुमार मंडल द्वारा पुलिस बल के संग मौक़ा पर पहुंच तत्काल गुरमीत राम रहीम आओर हनीप्रीत केर मूर्ति हटेबाक बाद  मामला कने शांत भेल।

बताओल जे रहल अछि कि एहि पूरा मामला पर आयोजक सभ अप्पन सफाई दैत कहलनि कि किनको आस्था क' ठेंस पहुँचेबाक लेल नहि अपितु हास्य केर दृष्टिकोण सँ दुनू के प्रतिमा स्थापित कायल गेल छल। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ