सुपौल : छात्र संग अप्राकृतिक यौनाचार करबाक आरोप म' शिक्षक गिरफ्तार

सुपौल। 06 अक्टूबर। सुपौल जिलाक त्रिवेणीगंज अनुमंडल मुख्यालय स्थित एक निजी स्कूल के छात्रावास म' रही रहल नाबालिग छात्र के शिक्षक पर अप्राकृतिक यौनाचार करबाक कोशिश के आरोप लगाओल गेल अछि। छात्र के अभिभावक केर शिकायत पर आरोपी शिक्षक क' पुलिस गिरफ़्तार क' लेलनि अछि।

त्रिवेणीगंज थानाध्यक्ष बासुदेव राय कहलनि कि छात्र के परिजन सभक  शिकायत के बाद आरोपी शिक्षक क' गिरफ़्तार कायल गेल अछि। ऐहिक संगे पूरा मामला केर तहकीकात कायल जे रहल अछि। स्कूल म' जांच पड़ताल कायल जे रहल अछि।

ओतहि, छात्र शिक्षक केर एहि हरकत स' डरल छथि। आक्रोशित अभिभावक सभ आरोपी शिक्षक क' पकैड़ क' भलहि पुलिस के हवाले क' देलनि मुदा अप्पन बच्चा क' स्कूल भेजबा सँ डरा रहल छथि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ