सुपौल : सुरसर नदी म' डूबला स' चाचा-भतीजी केर मौत

सुपौल। 06 अक्टूबर। छातापुर थाना क्षेत्र के लालपुर स्थित सुरसर नदी म' डूबला स' चाचा-भतीजी केर मौत भ' गेल। बुधदिन नदी म' डूबल दुनू के शव कैल्हि गुरुदिन बरामद कायल गेल। एनडीआरएफ के टीम द्वारा कैको घंटाक अथक प्रयास के बाद शव क' नदी स' निकालल गेल। 

गौरतलब अछि कि बुध दिन सुरसर नदी के कात म' मवेशी क' पैन पीएबाक दौरान 15 बरखक माधुरी कुमारी नदी म' डूबे लागली। बगले म' मवेशी चरा रहल चाचा 22 वर्षीय अप्पन भतीजी क' बचबे लागला। जता दुनू नदी म' लपाता भ' गेलाह। मौका पर पहुंचल पुलिस आओर  एनडीआरएफ के टीम कैको घंटा शव क' खोजबाक प्रयास करैत रहल। कैल्हि गुरु दिन शव बरामद कायल गेल।

थानाध्यक्ष राजीव कुमार झा कहलनि कि दुनू शव क' कब्जा म' ल' पोस्टमार्टम लेल सदर अस्पताल सुपौल भेजल गेल अछि। ओतहि छातापुर सीओ लाला प्रमोद कुमार श्रीवास्तव कहलनि कि जांचोपरांत सरकारी सहायता के लेल विभाग क' प्रतिवेदित कायल जायत।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ