पुलिस हालात पर काबू पेबा म' नाकाम साबित भ' रहल अछि, पछिला कैको दिन सँ तनाव ग्रस्त जिला सभमे इंटरनेट सेवा सेहो बंद क' देल गेल अछि। बिहार म' दशहरा आओर मुहर्रम केर आसपास होयबाक कारण स' ऐहिक आशंका छल कि आपसी संघर्ष भ' सकैत अछि। ऐहतिहात के तौर पर राज्य सरकार द्वारा अर्धसैनिक बल के तीन कंपनियां मंगाओल गेल छल। रैफ के एक कंपनी पटना म' तैनात छल, ऐहिक अलावा SSB के एक कंपनी सीवान म' आओर SSB के दोसर कंपनी क' दरभंगा म' तैनात कायल गेल छल।
तमाम सुरक्षा इंतजाम केर बावजूद मूर्ति विसर्जन आओर ताजिया जुलूस के दौरान प्रशासनिक व्यवस्था पूरा तरहे लचर रहल। जाहिक नतीजा ई भेल कि राज्य के 16 जिला सांप्रदायिक हिंसा केर चपेट म' आएब गेल। एखन धरी प्रशासन क' हालात पर काबू पेबा म' सफलता नहि भेटल अछि। पर्व के पहिने मुख्यमंत्री नीतीश कुमार उच्चस्तरीय बैठक करि अधिकारी सभके निर्देशित देना रहथिन बावजूद ऐहिक प्रशासनिक तैयारी धरल के धरल रही गेल।
पछिला किछु बरख म' ई पहिल मौका अछि जखन 16 स' बेसी जिला सांप्रदायिक हिंसा केर चपेट म' अछि। कटिहार, जमुई, नवादा आओर अरवल म' विधि व्यवस्था केर स्थिति बहुत खराब अछि। एसएसबी केर एक कंपनी कटिहार म' कैंप क' रहल अछि। डीजीपी स्तर के अधिकारी गुप्तेश्वर पांडे आओर आईएएस अफसर प्रत्यय अमृत क' हालात पर काबू पेबाक लेल कटिहार म' लगाओल गेल अछि। ऐहिक अलावा रैपिड एक्शन फोर्स के एक कंपनी अरवल म' कैंप क' रहल अछि। सीवान म' सेहो SSB के एक कंपनी क' तैनात कायल गेल अछि, बिहार सरकार केंद्र स' अतिरिक्त सुरक्षा बल केर मांग क' रहल अछि।
तनाव क' देखैत कैको जिला म' इंटरनेट सेवा पछिला कैको दिन स' बंद कायल गेल अछि। नवादा, कटिहार, अरवल आओर जमुई म' इंटरनेट सेवा बंद कायल गेल अछि। आरा, रोहतास, बेगूसराय, मुजफ्फरपुर, किशनगंज, अररिया आओर भागलपुर सहित कैको जिला म' तनाव व्याप्त अछि। एहि पूरा मामला पर पुलिस के कुनू अधिकारी किछु कहबाक लेल तैयार नहि अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।