बिहारक माटी क' नमन करैत प्रधानमंत्री मोदी कहलनि हम माँ सरस्वती आओर लक्ष्मी दुनू क' संग - संग चला रहल छी। बिहार लग सरस्वती केर कृपा अछि। बिहार पर लक्ष्मी केर कृपा सेहो भ' सकैत अछि। ऐहिक लेल केंद्र पूरा तरहे प्रदेश सरकार केर मदैद करत। प्रधानमंत्री मोदी आगू कहलनि कि बिहार क' 2022 धरी समृद्ध राज्य बनेबाक अछि।
कार्यक्रम म' प्रधानमंत्री मोदी कहलनि कि दिमाग क' खाली करबाक जरूरत अछि। देश केर सभ यूनिवर्सिटी क' टीचिंग नहि बल्कि लर्निंग प्रॉसेस पर ध्यान देबाक जरुरत अछि। सभ यूनिवर्सिटी म' दिमाग खोलबाक आओर खाली करबाक अभियान चलेबाक चाही। तखने देश आगू बढ़त। यूनिवर्सिटी म' आबै बला सभ नवा विद्यार्थी के लेल चुनौती अछि कि ओ पुरनका जे सिखने छथि ओहिके कोना बिसारैंथ।
प्रधानमंत्री मोदी आगा कहलनि कि आबै बला युग केर आवश्यकता केर पूर्ति लेल इनोवेशन पर ध्यान देबाक जरुरत अछि। हम देशक सभ यूनिवर्सिटी के विद्यार्थी आओर फैकल्टी सँ आवाहन करे चाहैत छी कि हमरा सभक आसपास जे समस्या देखार दैत अछि ओहिके समाधानक लेल इनोवेटिव आओर सस्ता टेक्नॉलजी ताकी। इनोवेशन माने नवाचार सभ युगक लेल महत्वपूर्ण अछि। मोदी जी कहलनि कि दुनिया के उवे देश आगू बढ़ैत अछि जे नवा सोच क' बढ़ावा दैत अछि। भविष्य क' देखैत संसाधन के बारे म' सोचब समय केर मांग अछि। स्टार्टअप म' भारत चारिम नंबर के देश अछि।
मोदी जी आगू कहलनि कि पटना यूनिवर्सिटी क' एक डेग आओर आगू ल' जेबाक लेल चाहैत छी। विश्व केर टॉप 500 यूनिवर्सिटी म' भारत के एको गोट यूनिवर्सिटी नहि अछि ऐहिक लेल 20 यूनिवर्सिटी- 10 सरकारी आओर 10 प्राइवेट क' 10,000 करोड़ टाकाक सहयोग करबाक योजना अछि। जाहिक फैसला प्रदर्शन केर आधार पर कायल जायत। एहि सँ पाजिने मोदी जी कहलनि कि देशक 65 फीसदी जनसंख्या म' 35 बरख सँ कम उम्र के लोग छथि। यानी अप्पन हिंदुस्तान जवान अछि हिंदुस्तान केर सपना सेहो जवान अछि।
इस मौका पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि कि प्रधानमंत्री केर पटना आगमन स' हुनका बहुत खुशी अछि। मुख्यमंत्री द्वारा पटना यूनिवर्सिटी के दर्जा बढ़ा केंद्रीय विश्वविद्यालय करबाक सेहो मांग कायल गेल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।