मधुबनी : मुद्रा विनमय व्यावसायी राकेश साह के गोली मारी हत्या

मधुबनी। 05 अक्टूबर। मोटरसाइकिल सवार दू अपराधी मुद्रा विनमय व्यावसायी राकेश कुमार साह क' गोली मारी टाका सँ भरल बैग लूटी फरार भ' गेल। इलाज केर दौरान व्यापारी के मौत भ' गेलनि। ई घटना जयनगर शहर के वार्ड न.12 थाना के पाछू घटल। 

कैल्हि देर सांझ दू अपराधी मुद्रा विनमय व्यावसायी राकेश कुमार साह क' गोली मारी टाका सँ भरल बैग लूटी फरार भ' गेल। भागबाक क्रम म' अपराधी सभक एक पिस्तौल गिर पड़ल। जाहिके पुलिस जब्त केना अछि। बताओल जे रहल अछि कि व्यापारी राकेश साह स्टेशन लग भारतीय व नेपाली टाकाक विनिमय करैत छलाह। ओ अप्पन घर जायत छलाह एहि क्रम म' ई घटना घटल। 

राकेश क' इलाजक लेल अनुमंडलीय अस्पताल लाओल गेल। जता चिकित्सक सभ हुनका मृत घोषित क' देलनि। थानाध्यक्ष उमाशंकर राय, डीएसपी सुमित कुमार घटनास्थल पर पहुंच छान बीन क' रहल छथि। डीएसपी सुमित कुमार कहलनि कि अपराधी सभके पकड़बाक लेल पुलिस नाकाबंदी करी छापामारी क' रहल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने