नट गिरोह के सरगना समेत छह डकैत गिरफ्तार, लूटल गेल सामान बरामद

मोतिहारी। 27 अक्टूबर। पूर्वी चंपारण जिला के चकिया पुलिस द्वारा नट गिरोह के छह डकैत क' लुटल गेल सामानक संग गिरफ्तार कायल गेल। गिरफ्तार सभ डकैत मुजफ्फरपुर जिला के साहेबगंज थाना क्षेत्र स्थित तरवा गामक रहीवासी बताओल जे रहल अछि। 

दरअसल, विगत मंगल दिन चकिया थाना क्षेत्र के गंगा सिरसिया गामक रहीवासी बैंक कर्मी मयनारायण प्रसाद के घर डकैत सभ तांडव मचबैत लाखो टाकाक जेवरात आओर नगदी लुईट लेना छल। ओतहि, जायत जायत डकैत सभ फायरिंग केना छल आओर बम सेहो फोरने छल।  

जाहिक बाद एहि घटनाक खुलासा करबा म' लागल पुलिस द्वारा डकैत के सरगना योगेन्द्र नट उर्फ योगीनाथ समेत गिरोह के छह सदस्य क' गिरफ्तार कायल गेल। संगहि पुलिस द्वारा एहि अपराधी सभक लग से लुटल गेल जेवरात सेहो बरामद कायल गेल।

एहि संदर्भ म' चकिया डीएसपी मुंद्रिका प्रसाद जानकारी दैत कहलनि कि गिरफ्तार डकैत सभ जिला मे भेल कैको डकैती केर घटना म' अप्पन संलिप्तता स्वीकारी केलनि। डीएसपी केर मुताबिक गिरफ्तार सभ डकैत पहिनो कैको बेर जेल जा चुकल छथि। फिलहाल, पुलिस गिरफ्तार डकैत सभक आन साथी सभक तलाश म' छापामारी क' रहल अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ