योगी आदित्यनाथ उत्तर प्रदेश म' भाजपा के एहेन पहिल मुख्यमंत्री छथि, जे ताजमहल केर भ्रमण केलनि। योगी आदित्यनाथ जहिना ताजमहल के भीतर प्रवेश केलनि, ओता मौजूद पर्यटक सभ जय श्री राम, भारत माता की जय आओर वंदे मातरम के नारा लगौलनि। योगी आदित्यनाथ हाथ हिला सभक स्वागत केलनि आ ओता उपस्थित बच्चा सभक संग बातचीत करैत फोटो सेहो खिचौलनि। मुख्यमंत्री योगी आदित्यनाथ आगरा म, पर्यटन विकासक लेल 235 करोड़ के योजना सभक घोषणा केलनि। जाहिमे 6 परियोजना केर शिलान्यास आओर 3 के लोकार्पण शामिल अछि।

मुख्यमंत्री योगी आदित्यनाथ जीआईसी मैदान म' आयोजित एक जनसभा क' संबोधित करैत कहलनि कि आगरा अएबा पर लोग आपत्ति क' रहल छल जे आखिर हम किएक आगरा जे रहल छी। हम काशी जायत छी तेँ किनको खराब नहि लागैत छैन्ह, अयोध्या जायत छी तेँ किनको खराब नहि लागैत छैन्ह। आगरा अएला पर सभके खराब किएक लागि रहल छैन्ह। आगा ओ कहलनि कि खराब अगबे हुनका लागैत छैन्ह जे समाज क' जातिक आधार पर बांटने छथि। योगी आदित्यनाथ कहलनि कि ताजमहल भारत केर वास्तुक अनमोल रत्न अछि आओर ई देश के लोग सभक खून - पसीना सँ बनल अछि। हरम सभके ऐहिक संरक्षण करबाक चाही। आगा ओ कहलनि कि पछिला सरकार सभक लेल आगरा पिकनिक स्पॉट छल, मुदा हमरा लेल ई साधना स्थल होयत।
योगी आदित्यनाथ केर एहि बयान पर पत्रकार सभसँ बात करैत उत्तर प्रदेश के पूर्व मुख्यमंत्री अखिलेश यादव कहलनि कि भगवान राम एहेन की क' देलनि जे ओ (योगी) ताज के वेस्ट गेट पर बारहैन सेहो लगा रहल छथि। ऐहिक लेल हम प्रभु राम क' धन्यवाद देबा चाहैत छी कि कम सँ कम हुनका ताजमहल के याद त' आयल।
राष्ट्रीय स्वयंसेवक संघ सँ जुड़ल संगठन के कहब अछि कि ताजमहल इतिहास केर दृष्टि स' नारी केर अपमानक प्रतीक अछि, मुदा कलाकारी केर दृष्टि स' बहुत अहम अछि। एहिलेल हमरा सभके ओहि पर गर्व अछि। अखिल भारतीय इतिहास संकलन योजना के संगठन सचिव बालमुकुंद कहलनि कि ताज महल प्रीत केर प्रतीक नहि भ' सकैत अछि, किएक जे किनको पति क' मारिके हुनका रखैलक रूप म' राखल गेल छल। 17 साल म' 14 बच्चा जन्माओल गेल, अंतिम बच्चा केर जन्म होयते महिला केर देहांत भ' गेल, हुनकर देहांत होयते चारि माह के बाद हुनकर बहिन स' बिआह करब ई भारतीय चिंतन केर दृष्टि सँ प्रीत केर प्रतीक नहि भ' सकैत अछि। इतिहास केर दृष्टि स' देखि तेँ ताजमहल नारी सभक अपमान केर प्रमाण अछि, मुदा कलाकारी केर दृष्टि स' ताजमहल गर्व के विषय अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।