भगवान भास्कर केर अराधना म' डूबल मिथिलांचल समेत सगर बिहार, सुरक्षा केर पुख्ता इंतजाम

पटना। 26 अक्टूबर। लोक आस्था के महापर्व छठ ल'क' मिथिलांचल समेत सगर बिहार भक्तिक रंग म' सराबोर डूबल अछि। चारि दिवसीय एहि  अनुष्ठान म' आय डूबैत सूर्य क' अर्घ्य देल जायत। भगवान भास्कर केर  अराधना लेल मिथिलांचल समेत पूरा बिहार भक्ति केर रंग म' डूबल नजैर आएब रहल अछि। गाम सँ ल' क' गंगा घाट धरी छठ पूजा के पारंपरिक व कर्णप्रिय गीत गुंजी रहल अछि। राजधानी पटना के सभ सड़क रंग-बिरंगक आओर आकर्षक झालैर सँ सजाओल गेल अछि। जखनकि गंगा घाट सभ पर सुरक्षा केर पुख्ता इंतजाम कायल गेल अछि। 


पटना म' जिला प्रशासन द्वारा छठ पूजा क' देखैत नियंत्रण कक्ष केर स्थापना कायल गेल अछि। शहर म' 100 सँ बेसी घाटक अलावा 45 तालाब म' छठव्रति सभके भगवान भास्कर क' अर्घ्य देबाक व्यवस्था कायल गेल अछि। प्रशासन द्वारा कैको गंगा घाट क' असुरक्षित घोषित कायल गेल अछि, जाहिमे व्रती सभके नहि जेबाक चेतावनी देल जे रहल अछि। 

बिहार राज्य पुलिस मुख्यालय के एक अधिकारी कहलनि कि पटना सहित पूरा राज्य म' सुरक्षा केर पुख्ता प्रबंध कायल गेल अछि। पटना के सभ गंगा घाट पर अतिरिक्त सुरक्षा-व्यवस्था कायल गेल अछि। पटना के  यातायात व्यवस्था म' सेहो बदलाव कायल गेल अछि। ऐहिक अलावा विभिन्न जगह पर स्वयंसेवी संगठन आओर स्थानीय लोग व्रती सभक मदैद लेल ठाढ़ छथि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ