मुंगेर। 23 अक्टूबर। मुंगेर जिलाक अदलपुर हाल्ट लग आय भोर भागलपुर-दानापुर इंटरसिटी एक्सप्रेस केर चपेट म' अएला सँ 4 महिला केर मौत भ' गेलनि। धरहरा थाना क्षेत्र म' भेल एहि घटना म' एक आओर महिला केर घायल होयबाक खबैर अछि। एसपी आशीष भारती केर मुताबिक एखन धरी एहि हादसा म' मृत महिला सभक पहचान नहि भ' सकल अछि। ओतहि हादसा म' घायल महिला क' इलाजक लेल मुंगेर सदर अस्पाताल भेजल गेल अछि।
पुलिस केर मुताबिक आय भोर अदलपुर हाल्ट लग किछु महिला गंगा स्नान करि अप्पन घर वापस जायत छली। एहि दौरान ई हादसा भेल आओर ट्रेनक चपेट म' अएला स' 4 महिला केर मौत भ' गेलनि जखनकि एक आन महिला घायल छथि। आशंका जाताओल जे रहल अछि कि कुहासा के बीच ट्रेन क' नहि देखबाक कारण ई दुर्घटना घटल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।