
सहरसा। 07 अक्टूबर। पुलिस अधीक्षक अश्वनी कुमार वरीय पदाधिकारी केर आदेशक आलोक म' सदर थानाध्यक्ष भाई भरत कुमार क' लाइन हाजिर क' देलनि। जखनकि हत्याकांड जेहन बड़का कांड सभमे लापरवाही बरतबाक आरोप म' तीन दारोगा क' निलंबित क' देलनि। सिमरीबख्तियारपुर के थानाध्यक्ष राकेश कुमार सिंह क' सदर थाना के नवा थानाध्यक्ष बनाओल गेल अछि। जखनकि सिमरीबख्तियारपुर के अंचल निरीक्षक सत्यनारायण शर्मा क' तत्काल सिमरीबख्तियारपुर थाना के प्रभारी थानाध्यक्ष बनाओल गेल अछि।
प्राप्त जानकारी केर मुताविक कोसी रेंज के पुलिस उपमहानिरीक्षक सौरभ कुमार के आदेश पर एसपी अश्वनी कुमार थानाध्यक्ष क' लाइन हाजिर केलनि। जारी कायल जेल पत्र म' हुनका विरूद्ध कुनु तरहक आरोप केर चर्चा नहि अछि। ओतहि एसपी अश्वनी कुमार सदर थाना स' सिमरीबख्तियारपुर स्थानांतरण होयबाक बाद हत्याकांड के प्रभार नहि सौंपबाक आरोप म' पुलिस अवर निरीक्षक मो. निजमाउद्दीन क' निलंबित क' देलनि। जखनकि बिहरा थाना के एक कांडक प्रभार नहि सौंपबाक, गिरफ्तार नहि करबाक आरोप म' पुअनि वकील शर्मा एवं डरहार ओपी क्षेत्र के पुअनि उमाकांत उपाध्याय क' बसनही थाना म' दर्ज हत्या के एक मामला म' प्रभार नहि देबाक आरोप म' निलंबित क' देलनि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।