पटना। 27 अक्टूबर। आस्था के महापर्व छठ पूजाक अंतिम दिन आय भोर उगैत सूर्य क' व्रती लोकनि अर्घ्य देलनि। एहि दौरान बिहार, झारखण्ड, उत्तर प्रदेश समेत पूरा देश भक्ति के रंग सँ सराबोर रहल। गाम - मोहल्ला सँ ल' क' गंगा घाट धरिक पूरा इलाका म' छठ पूजा केँ पारंपरिक व कर्णप्रिय गीत गुंजैत रहल। ओतहि देश भरिक अलग-अलग हिस्सा म' नदी - तालाब सभक कात म' बनाओल गेल घाट सभ पर श्रद्धालु सभक सैलाब देखबाक लेल भेटल। राजधानी पटना के विभिन्न घाट पर सेहो लाखो के संख्या म' लोग सभ उदीयमान सूर्य क' अर्घ्य देबाक लेल पहुंचल।
चारि दिनक ई महापर्व मंगल दिन नहाय-खाय सँ शुरू भेल छल। ओतहि दोसरदिन बुध क' खरना के उल्लास देखल गेल। चारि दिवसीय एहि लोकपर्व ल' क' व्रती सभमे बहुत उत्साह देखल गेल। छठी मइया के गीत सँ पूरा वातावरण म' भक्ति केर संचार भ' रहल अछि आओर एखनहुँ पूरा माहौल छठमय बनल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।