मनी लॉड्रिंग केस म' कारोबारी विजय माल्या दोसर बेर लंदन म' गिरफ्तार, किछु मिनट म' भेटल जमानत

नई दिल्ली। 03 अक्टूबर। भारत के भगोड़ा कारोबारी विजय माल्या क' आय लंदन म' गिरफ्तार कायल गेल, ओनाकि किछु देर म' हुनका कोर्ट स' जमानत भेट गेल। एहिसँ पहिने एहि बरख अप्रैल म' सेहो माल्या के लंदन म' गिरफ्तारी भेल छल आओर ओहिबेर सेहो किछु घंटा म' हुनका जमानत भेट गेल छल।

अपने क' बता दी कि भारत सरकार माल्या केर प्रत्यर्पणक कोशिश म' लागल अछि। ऐहिक लेल कानूनी कार्यवाही चैल रहल अछि। दरअसल ईडी आओर सीबीआई केर एक टीम किछु मास पहिने लंदन पहुंचल छल आओर ओतए के अदालत म' माल्या केर खिलाफ सबूत पेश केना छल। मई मास म' सीबीआई आओर ईडी के 4 सदस्यीय टीम ब्रिटेन पहुंचल छल आओर अधिकारी सभके माल्या केर खिलाफ कर्ज भुगतान म' असफल रहबाक मामला केर बारीकी स' जानकारी देना छल। 

भारतीय बैंक सभक 9000 करोड़ टाका स' बेसी के देनदारी केर सामना क' रहल माल्या देश छोड़ी काफी समय स' लंदन म' रही रहल छथि। माल्या पर कैको दोसर गंभीर वित्तीय आरोप सेहो लागल अछि।

किंगफिशर एयरलाइंस पर करीब 9000 करोड़ टाकाक कर्ज बकाया अछि। ई कर्ज एसबीआई केर अगुवाई बला 17 बैंकक समूह देना छल। पछिला बरख मार्च म' माल्या भारत स' परा गेल छला। माल्या 2 मार्च 2016 क' भारत स' ब्रिटेन चैल गेल छला। सीबीआई द्वारा हुनका खिलाफ 2 मामला  दर्ज कराओल गेल अछि। एक मामला आईडीबीआई बैंक सँ जुड़ल अछि, जखन की दोसर मामला भारतीय स्टेट बैंक केर अगुआई बला समूह केर  शिकायतक आधार पर दर्ज कायल गेल अछि।

बैंक सभक विजय माल्या पर कतेक अछि बकाया ?

(टाका करोड़ म')
  • एसबीआई-1600
  • पीएनबी-800
  • आईडीबीआई-800
  • बैंक ऑफ इंडिया- 650
  • यूनाइटेड बैंक ऑफ इंडिया-430
  • सेंट्रल बैंक ऑफ इंडिया-410
  • यूको बैंक- 320
  • कॉर्पोरेशन बैंक-310
  • स्टेट बैंक ऑफ मैसूर-150
  • इंडियन ओवरसीज बैंक-140
  • फेडरल बैंक- 90
  • पंजाब एंड सिंध बैंक-60
  • एक्सिस बैंक-50

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने