बिहार सँ हिमाचल तक कांग्रेस म' बग़ावत, रास नहि आएब रहल अछि आरजेडी केर संग

पटना। 01 सितम्बर। बिहार सँ ल'क' हिमाचल तक कांग्रेस म' बग़ावत केर खबैर आएब रहल अछि। हिमाचल म' जता वीरभद्र सिंह कांग्रेस केर  दामन छोड़बाक धमकी द' चुकल छथि। ओतहि बिहार म' क़रीब दर्जन भरी  विधायक पार्टी छोड़बाक लेल तैयार बैसल छथि। कैल्हि गुरुदिन भोरे सँ दस जनपथ पर पार्टी नेता सभक आएब - जाएब लागल रहल। पहिने हिमाचल प्रदेश केँ मुख्यमंत्री वीरभद्र सिंह सोनिया गांधी सँ भेंट केलनि। वीरभद्र सिंह प्रदेश अध्यक्ष सुखविन्दर सिंह सुक्खू क' हटेबाक मांग पर ज़ोर देलनि। 

प्राप्त सूचनाक मुताबिक़ वीरभद्र सिंह सँ कहल गेल अछि कि एहि मामला म' राहुल गांधी सँ सलाह के बाद कुनु फ़ैसला लेल जाएत। राहुल गांधी एक दू दिन म' विदेश सँ वापस आबै बला छथि। हिमाचल प्रदेश के झगड़ा क' टारल जे चुकल अछि मुदा बिहार के बग़ावत सेहो कांग्रेस क' परेशान क' रहल अछि। विधायक दल केर नेता सदानंद सिंह आओर प्रदेश अध्यक्ष दुनू क' दिल्ली तलब करि हाईकमान द्वारा टूट क' रोकबाक कोशिश काएल गेल अछि। 

प्राप्त सूचनाक मुताबिक बिहार के कांग्रेस नेता सभके आरजेडी के संग रास नहि आएब रहल अछि। 27 म' 14 विधायक नीतीश के संग जेबाक लेल उतावला छथि। एहिमे नीतीश सरकार म' मंत्री रही चुकल अशोक चौधरी केर नाम सेहो शामिल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने