बकरीद के बाद सैकड़ो जानवरक क्षत - विक्षत शव नहर म' भेटला सँ मधेपुरा म' तनाव

मधेपुरा। 05 सितम्बर। मधेपुरा जिलाक मुरलीगंज प्रखंड क्षेत्र के एक नहर म' कैल्हि सोमदिन 250 सँ बेसी जानवरक शव दहाकेँ पहुंचला सँ क्षेत्र म' तनाव केर माहौल उत्पन्न भ' गेल अछि। खबैर अछि कि एहि घटना सँ आक्रोशित लोग सभ पुलिस संग सेहो धक्का-मुक्की केलनी।

पुलिस केर मुताविक, हरिपुरकला तिनकोनमा जेसीबी नहर म' कैल्हि 250 सँ बेसी जानवरक क्षत-विक्षत शव दहाकेँ पहुंच गेल। ग्रामीण सभ ऐहिक सूचना पुलिस प्रशासन क' देलनि। पुलिस प्रशासन तत्काल घटनास्थल पर पहुंच स्थिति के जायजा लेलनि। एहि बीच भारी संख्या म' नहर पर पहुंचल ग्रामीण आक्रोशित भ' खूब हंगामा केलनि।

आक्रोशित भीड़ पुलिसक एक वाहन क' नहर म' उलटा देलनि। ग्रामीण सभक कहब अछि कि कैल्हि दुपहर एकाएक जानवरक क्षत-विक्षत शव दहाकेँ नहर आएब गेल। अस्थिर - अस्थिर ई संख्या 500 सँ बेसी भ' गेल।  घटनास्थल पर पहुंचल मधेपुरा के अनुमंडल पदाधिकारी संजय कुमार निराला कहलनि कि मृत जानवर सभक शव अररिया वा वीरनगर क्षेत्र सँ दहाकेँ ऐता पहुंचल।

संजय कुमार कहलनि कि ई जांचक विषय अछि कि आखिर एतेक जानवरक शव नहर म' किएक डालल गेल? संजय कुमार कहलनि कि क्षेत्र म' तनाव बनल अछि, मुदा स्थिति नियंत्रण म' अछि। आगा ओ कहलनि कि जानवरक सभ शव क' ग्रामीण सभक मदैद सँ जमीन म' गाएर देल जायत, जाहिक प्रक्रिया शुरू भ' गेल अछि। एहि मामला केर छानबीन काएल जे रहल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने