झारखण्ड मिथिला मंच केर अथक प्रयास सँ रांची-जयनगर एक्सप्रेस ट्रेनक परिचालन फेर सँ शुरू होयत

मधुबनी। 20 सितम्बर।[जितमोहन झा (जितू)] कैल्हि मंगल दिन रांची-जयनगर एक्सप्रेस क' दुबारा चलेबाक घोषणा कायल गेल। रांची - जयनगर एक्सप्रेस 23 सितंबर स' फेर सँ चलाओल जायत। रांची स' सांझ 4 बजे खुजै बला 18605 रांची -जयनगर एक्सप्रेस सप्ताह म' हर मंगल, गुरु आओर शनि दिन रांची सँ चलाओल जायत। ई ट्रेन रांची स' सांझ 4 बजे खुजत आओर सांझ 6.18 बजे बोकारो, सांझ 6.50 बजे चंद्रपुरा, 7.08 बजे महुदा, राति 9.20 बजे आसनसोल आओर अगिला दिन भोरे 5.30 बजे दरभंगा आओर 8.30 बजे जयनगर पहुंचत। वापसी म' 18606 जयनगर - रांची एक्सप्रेस सप्ताह म' हर बुध, शुक्र आओर रवि दिन क' भोर 11 बजे जयनगर स' खुजत आओर अगिला दिन भोर 4 बजे रांची पहुंचत।
अपने क' बता दी मिथिलांचल वासी सभक लेल 15 जून 2017 बड़का मनहूस दिन छल जाहि दिन खबैर आएल छल जे धनबाद चंद्रपुरा लाइन बंद काएल जाएत आओर एहि क्रम म' रांची - जयनगर एक्सप्रेस ट्रेन बंद रहत। ई खबैर मिथिलांचल वासी सभक लेल बहुत दुखद खबैर छल। एहि स्थिति म' "झारखंड मिथिला मंच" के स्वयंसेवक सभ आंदोलन केर बिगुल फुँकलाह, झारखंड मिथिला मंच के एकटा प्रतिनिधि मंडल रेल अधिकारी सभसँ भेट करि ट्रेन क' पुनः चलेबाक लेल ज्ञापन देलनि आओर DRM सँ आग्रह केलनि जे ट्रेनक परिचालन शिघ्र प्रारंभ काएल जाय। 
ऐहिक बाद सँ लगातार जतेक रेल अधिकारी ऐलाह हुनका सभके झारखंड मिथिला मंच केर प्रतिनिधि मंडल द्वारा ट्रेन क' पुनः चलेबाक लेल ज्ञापन देल गेल, धरना देल गेल, उग्र प्रदर्शन कैल गेल। दू दिन स्वयंसेवक लोकनि पर FIR तक होयबाक नौबत आबि गेल छल, RPF के द्वारा स्वयंसेवक सभ पर रायफल तानल गेल छल। तैयो स्वयंसेवक लोकनि हार नहि मानलनि। 
किछु दिनक बाद विडियो कान्फरेंसिंग के रेलवे प्रोजेक्टक लोकार्पण समारोह छल जाहि मे तात्कालीन रेल मंत्री सुरेश प्रभु ओनलाइन उद्घाटन करितथि आओर ओ  कार्यक्रम संग जूड़ल छलाह। रांची के हटिया स्टेशन पर भब्य मंच बनल छल, मंच पर रांची के साँसद श्री रामटहल चौधरी, केन्द्रिय मंत्री सुदर्शन भगत, प्रदेश अध्यक्ष लक्षमण गिलुआ बैसल छलाह तखने झारखंड मिथिला मंच केर स्वयंसेवकगण सभा म' रांची - जयनगर एक्सप्रेस ट्रेन पुनः चलेबाक अप्पन मांग राखलनि जकर समर्थन माननीय सांसद बिधायक संग मुख्यमंत्री सेहो केलाह। 
एहि आंदोलन म' झारखण्ड मिथिला मंच के पुरुख  स्वयंसेवक सभक संगे - संग जानकी प्रकोष्ठ के स्वयंसेविका सब सेहो पूर्ण रूप सँ सक्रिय रहली। एहि बाबत पत्रकार विजय देव झा सेहो सांसद बिधायक सभसँ लगातार संपर्क बनेने रहला आओर दवाब ऐहन रहल जे रेलवे मंत्रालय हारि क' रांची - जयनगर एक्सप्रेस ट्रेन क' पुनः परिचालन करबाक घोषणा केलक।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ