उत्तर प्रदेश के पूर्व मुख्यमंत्री एनडी तिवारी केर हालत नाजुक, आईसीयू म' भर्ती

नई दिल्ली। 20 सितम्बर। कांग्रेस के वरिष्ठ नेता आओर उत्तर प्रदेश के पूर्व मुख्यमंत्री एनडी तिवारी क' ब्रेन हेमरेज के बाद दिल्ली के मैक्स अस्पताल म' भर्ती कराओल गेल अछि। एनडी तिवारी केर स्थिति गंभीर बताओल जे रहल अछि आओर ओ एखन आईसीयू म' भर्ती छथि। बताओल जे रहल अछि कि ब्रेन हेमरेज के बाद एनडी तिवारी के आधा देह लकवाग्रस्त भ' गेल अछि।

एनडी तिवारी के बेटा शेखर तिवारी कहलनि कि आय भोर चाय पिबैत घरी एकाएक ओ बेहोश भ' गेला, जाहिक बाद हुनका तुरंत अस्पताल म' भर्ती कराओल गेल। अपने क' बता दी 91 वर्षीय एनडी तिवारी तीन बेर उत्तर प्रदेश आओर एक बेर उत्तराखंड के मुख्यमंत्री रही चुकल छथि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ