प्रद्युम्न ठाकुर केर मर्डर कोना भेल ? स्कूलक माली हरपाल केर दावा सँ केस म' आयल नवा मोड़

मधुबनी। 15 सितम्बर। प्रद्युम्न ठाकुर मर्डर केस म' कैल्हि गुरु दिन पुलिस द्वारा स्कूल के माली स' 5 घंटा धरी पूछताछ कायल गेल। माली द्वारा पेश कायल गेल दावा स' केसक गुत्थी आओर ओझरायल देखार द' रहल अछि। माली हरपाल साफ - साफ कहलनि कि जखन ओ पहिल बेर देखलनि तँ प्रद्युम्न ठाकुर केर हत्याक मुख्य आरोपी अशोक कुमार केर कपड़ा पर खून के धब्बा कतहु नहि छल। अपने क' बता दी माली द्वारा  पूछताछ म' पुलिस पर ज्यादती करबाक आरोप सेहो लगाओल गेल अछि।  

माली द्वारा आरोप लगाओल गेल अछि कि पूछताछ केर दौरान हुनका थापड़ मारल गेल, पिटल गेल आओर पैनक बाल्टी म' हुनकर मुंह क' डुबाओल गेल। अपने क' बता दी कि एकहि सप्ताह म' पुलिस द्वारा पूछताछ म' कथित तौर पर मारपीट करबाक ई दोसर आरोप लागल अछि। बस ड्राइवर सौरभ राघव द्वारा सेहो पुलिस पर मानसिक दबाव बनेबाक आरोप लगाओल गेल छल। 

अपने क' बता दी माली हरपाल कक्षा दू म' पढाई बला प्रद्युम्न हत्या केस म' अहम गवाह छथि। कैल्हि गुरु दिन पुलिस हुनका पूछताछ लेल बजौना छल। बुलाया था। पुलिस पूछताछ के बाद हरपाल कहलनि कि हम्मर ड्यूटी भोर 7 बजे शुरू होयत अछि। पछिला शुक्र दिन स्कूल पहुँचलाक  बाद हम करीब आधा घंटा काज केलहुँ। स्कूल म' दू आओर माली अछि।  जखन हम पैन पिबे अएलहुँ तेँ आन दू माली काज करैत छल।

ग्राउंड फ्लोरक वॉश रूम केर बाहर वाटर कूलर लागल अछि। हम पैन पिलहुँ आओर फेर जे लागलहुँ। कनि दूर गेला पर हमरा बच्चा सभक हल्ला करबाक आवाज सुनाल परल। दू बच्चा ओहिठाम छल। दुनू बच्चा जमीन पर पड़ल प्रद्युम्न दिस इशारा करैत हमरा कहलक कि "अंकल जी एहि बच्चा क' की भ' गेल अछि।" प्रद्युम्न के हालत देख हमहुँ कने नर्वस भ' गेलहुँ। तखने बच्चा सभ हमरा कहलक की हम अंजू मैडम (जूनियर स्कूल सेक्शन इंचार्ज अंजू डूडेजा) क' बजा आनी। जखन हम मास्टर सभक संग वापस अएलहुँ त' देखलहुँ कि अशोक सेहो ओतहि छल आओर हुनका कपड़ा पर खून के कोनो दाग नहि छल। अंजू मैडम अशोक क' कहलनि कि प्रद्युम्न क' बाहर ल' जेबा म' मदैद करू। अशोक प्रद्युम्न क' कोरा म' उठा अंजू मैडम संग बाहर ल' गेला। 

गौरतलब अछि कि स्कूल के माली हरपाले बाथरूम म' सभसँ पहिने प्रद्युम्न क' खून स' लथपथ देखना छल। बुध दिन सेहो माली स' दू घंटा पूछताछ कायल गेल छल। एसआईटी हेड एसीपी तान्या सिंह कहलनि कि एहि मामला म' स्कूल के टीचिंग आओर नॉन टीचिंग स्टाफ सभसँ  पूछताछ कायल जे रहल अछि। 

पुलिस भलहि आरोपी कंडक्टर क' रिमांड खत्म होयबाक बाद जेल भेज देलक, मुदा पुलिस केर थिअरी पर एखनो कैको सवाल ठाढ़ भ' रहल अछि। कंडक्टर केर गिरफ्तारीक बाद पुलिस द्वारा कहल गेल छल कि आरोपी द्वारा मर्डर के बाद यूनिफॉर्म बदलबाक बात कबूलल गेल अछि। एहि पर कंडक्टर के पत्नी ममता केर कहब अछि कि हुनकर पति लग स्कूल के देल  एकहि यूनिफॉर्म छल। वारदात के बाद ओ दोसर यूनिफॉर्म कोना पहिरला।  अपने क' बता दी चाकू पर खून के दाग नहि होयबाक आओर चाकू नवा होयबाक बात पहिने सामना आएब चुकल अछि। 

प्रद्युम्न ठाकुर हत्या के मामला म' लगातार कैको सवाल जे जवाब खोजल जे रहल अछि। मानल जे रहल अछि कि पुलिस के सामने कंडक्टर दबाव म' गुनाह कबूल केलनि अछि। जेल जेबाक बाद आरोपी कंडक्टर कहलनि कि हुनका फंसाओल गेल अछि। सवाल इयो ठाढ़ भ' रहल अछि कि पुलिस द्वारा एकहि दिन म' आरोपी कंडक्टर क' गिरफ्तार करबाक जल्दबाजी किये देखाओल गेल। कतो पुलिस पर केसक जल्दी खुलासा करबाक दबाव त' नहि छल। एक बड़का सवाल इयो अछि कि वारदात के बाद कंडक्टर फरार किएक नहि भेला?

8 सितम्बर के भोर रायन इंटरनैशनल स्कूल म' भेल प्रद्युम्न ठाकुर मर्डर केस म' रोज - रोज नवा बयान आएब रहल अछि। पुलिस द्वारा मीडिया क' किछु आर कहल जे रहल अछि जखनकि कंडक्टर, माली, ड्राइवर सहित आन स्टाफ सभक बयान किछु अलग अछि। एहिसँ हत्या केर गुत्थी ओझरायल जे रहल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ