पटना म' नवरात्रा के धूम, अमीषा पटेल खेलली डांडिया, त' गुलशन ग्रोवर बटोरलनि तालि

पटना। 29 सितम्बर। पूरा बिहार म' नवरात्रा केर धूम मचल अछि। मुदा पटना के नवरात्रा किछु खास होयत अछि, ऐहिक पाछा रंगारंग कार्यक्रम अछि। जता बड़का - बड़का अभिनेता आओर अभिनेत्री शिरकत करैत छथि। कैल्हि गांधी मैदान म' आयोजित दशहरा महोत्सव म' अभिनेत्री अमीषा पटेल पहुंचली।

गांधी मैदान म' आयोजित दशहरा महोत्सव म' अमीषा पटेल लोग सभक संग डांडिया आओर गरबा खेलली। फिल्म अभिनेता गुलशन ग्रोवर सेहो पटना महोत्सव म' शामिल भ' महोत्सव क' आओर रंगीन बना देलनि। गुलशन ग्रोवर के डायलॉग पर लोग सभ खूब तालि बजबैत नजैर अएलनि। गुलशन ग्रोवर लोग सभके नवरात्रि केर शुभकामना दैत कहलनि कि पटना आएब हम धन्य भ' गेलहुँ। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ