मुंबई। 29 सितम्बर। [जितमोहन झा (जितू)] मुंबई के एलफिन्सटन रेलवे स्टेशन पर आय एक बड़का हादसा भेल अछि। जता रेलवे स्टेशन के फुट ओवर ब्रिज पर भगदड़ मचला सँ 28 लोगक मौत भ' गेल ओतहि 40 स' बेसी लोग गंभीर रुपे घायल बताओल जे रहल अछि। ई हादसा आय भोर 10:15 बजे के करीब भेल अछि। प्रत्यक्षदर्शी सभक मुताविक 50 स' 60 लोग गंभीर रुपे घायल छथि। रेलवे प्रवक्ता अनिल सक्सेना कहलनि कि रेल मंत्री पीयूष गोयल मुंबई पहुंच रहल छथि।
रेलवे द्वारा हेल्पलाइन : 24136051/ 24107020/ 24131419 KEM हॉस्पिटल हेल्पलाइन नंबर 022-24107000 जारी कायल गेल अछि
अपने क' बता दी सेंट्रल लाइन के परेल स्टेशन आओर वेस्टर्न रेल लाइन के एलफिंस्टन स्टेशन क' जोड़े बला ब्रिज पर पीक ओवर के भीड़ छल। घटना के समय जखन एकाएक बारिश आयल त' सभ लोग ब्रिज पर रुइक गेल। ब्रिज पर भीड़ बढ़े लागल, जखनकि कियो उतरबाक लेल तैयार नहि छल। ऐसी स्थिति म' सेंट्रल लाइन के ट्रेन पकड़बाक लेल धक्का-मुक्की होमे लागल जे भगदड़ के रूप ल' लेलक। लोग एक-दोसरक ऊपर चढ़े लागल जेहिसे 28 लोगक मौत भ' भेल।
रेलवे द्वारा हेल्पलाइन : 24136051/ 24107020/ 24131419 KEM हॉस्पिटल हेल्पलाइन नंबर 022-24107000 जारी कायल गेल अछि
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।