मुजफ्फरपुर म' चोरी करबाक आरोपी युवक केर पिट - पिट हत्या

मुजफ्फरपुर। 22 सितम्बर। मुजफ्फरपुर शहर के मिठनपुरा थाना क्षेत्र म'  एक युवक के पिट - पिट हत्या करबाक मामला प्रकाश म' आयल अछि। बताओल जे रहल अछि कि चोरी करबाक आरोप म' युवक के पिटाई करबाक बाद इलाज केर दौरान युवक के मौत भ' गेल। एहि घटना स' तमसायल लोग सभ शहर के लाइफ लाइन कहै जाय बला अखाड़ा घाट पुल क' जाम क' देलनि।

मुजफ्फरपुर शहर के मिठनपुरा थाना क्षेत्र स' चोरी करबाक आरोप म' मुकेश कुमार क' लोग सभ देर राति खूब पिटलनि, बाद म' सदर अस्पताल म' भर्ती मुकेशदम तोईड़ देलनि। एहि घटना स' तमसायल लोग सभ शहर के लाइफ लाइन कहै जाय बला अखाड़ा घाट पुल क' जाम क' देलनि।

लोग सभक आरोप अछि कि पुलिस केर लापरवाही सँ मुकेश केर मौत भेल अछि। पुलिस एहि मामला केर छानबीन क' रहल अछि। पुलिस द्वारा आश्वासन देल गेलाक बाद अखाड़ा घाट पुल पर सँ जाम हटाओल गेल। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने