मुजफ्फरपुर : पुलिस कस्टडी म' युवक केर मौत पर बवाल

मुजफ्फरपुर। 23 सितम्बर। मुजफ्फरपुर म' पुलिस कस्टडी म' युवक केर मौत भेला पर बवाल मैच गेल अछि। मौत केर सूचना भेटला पर मृतक मुकेश के परिजन सभ खूब बवाल केलनि। आक्रोशित लोग सभ नगर थाना के अखाडाघाट पुल क' कैको घंटा जाम क' देलनि आओर पुलिस के संग बकझक सेहो केलनि।

हालात सम्हारबाक लेल बहुत रास पुलिस बल केर मदैद लेल गेल, जाम म' स्कूली बच्चा सभक फंसलाक बाद पुलिस द्वारा लाठी चला भीड़ क' तितर-बितर कायल गेल आओर जाम हटाओल गेल। लाठी चार्ज के बाद महिला सभ सेहो तमसा गेली आओर पुलिस बला सभके गरियाबे लागली।

मृतक युवक मुकेश के भाई संतोष कुमार कहलनि कि मुकेश मिठनपुरा के गौशाला लग चोरी करैत पकड़ा गेल छला जता हुनकर खूब पिटाई भेल छल। चोरी के आरोप म' पुलिस हुनका पकैड़ सदर अस्पताल म' भर्ती करौलनि जता मुकेश दम तोइड़ देलनि। मौका पर पहुँचल एसपी उपेन्द्रनाथ वर्मा कहलनि कि परिजन सभक बयान पर मामला दर्ज करि आगुक कार्रवाई कायल जायत।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने