पटना। 08 सितम्बर। बिहार म' कांग्रेसी विधायक सभके बचेबाक लेल पार्टी आलाकमान हर संभव जतन क' रहल अछि, मुदा सियासी झगड़ा खत्म होयबाक नाम नहि ल' रहल अछि। आब कांग्रेस के 27 विधायक म' 19 विधायक पार्टी उपाध्यक्ष राहुल गांधी स' राष्ट्रीय जनता दल (आरजेडी) सँ गठबंधन तोड़बाक नेहोरा केलनि।
एहि विधायक सभक कहब अछि कि लालू प्रसाद यादव कहियो कांग्रेस केर विश्वस्त नहि रहला। लालू यादव मुस्लिम आओर यादव वोटर सभके अप्पन पाला म' रखबाक लेल सदिखन उच्च तबका केर जाती सभ क' नजरअंदाज केलनि। एहि कारण सँ पछिला 20 बरख म' कांग्रेस नीक प्रदर्शन नहि क' सकल।
बिहार कांग्रेस म' विभाजन लेल 19 विधायक सभक संख्या पर्याप्त अछि आओर अलग भेला पर एहि सभ विधायक के सदस्यता सेहो नहि जायत। कानूनन एहि विधायक सभके अलग गुट वा पार्टी बनेबाक लेल 18 विधायक केर समथर्न जरूरी अछि। एहिसँ कांग्रेस नेतृत्व म' बेचैनी बढ़ल अछि। 243 सदस्यीय बिहार विधानसभा म' कांग्रेस के 27 विधायक आओर 6 विधान पार्षद अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।