पटना। 02 अगस्त। उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहलनि कि ओ जल्दे बालू माफिया सभसँ आरजेडी के संबंध क' सबूत संग उजागर करथिन। संगहि ओ इयो कहलनि कि हुनकर सरकार आरजेडी चीफ लालू प्रसाद यादव के परिवारक संपत्ति के सेहो जांच क' रहल अछि। सुशील मोदी कहलनि कि बालू माफिया राजनीतिक दल सभके फंडिंग करैत अछि। बालू माफिया आरेजडी के फंडिंग के मुख्य स्रोत अछि। हम लालू प्रसाद के परिवार सभक बालू माफिया सभसँ संबंध के बारे म' जल्दे एक प्रेस कॉन्फ्रेंस करि बड़का खुलासा करब।
उपमुख्यमंत्री कहलनि कि राज्य सरकार हर तरह के भ्रष्टाचार केर खिलाफ कार्रवाई करबाक लेल प्रतिबद्ध अछि। ओनाकि सुशील मोदी माटी खरीद घोटाला के बारे म' पुच्छल गेल सवाल पर कहलनि कि ई बहुत छोट मामला अछि। हम देखैत छी एहि बारे म' केहेन कार्रवाई कएल गेल अछि। माटी खरीद घोटाला बहुत छोटा मामला अछि।
आरजेडी के बिहार यूनिट प्रमुख आओर मीडिया प्रभारी प्रगति मेहता एहि सभ आरोप क' आधारहीन आओर अनर्गल बतौलनि। मेहता कहलनि कि हम सुशील मोदी के आरोप सभ पर ध्यान नहि दैत छी। सुशील मोदी क' लालू प्रसाद आओर हुनकर परिवार सभ पर आधारहीन आओर अनर्गल आरोप लगेबाक आदत पड़ल छैन्ह।
उपमुख्यमंत्री कहलनि कि राज्य सरकार हर तरह के भ्रष्टाचार केर खिलाफ कार्रवाई करबाक लेल प्रतिबद्ध अछि। ओनाकि सुशील मोदी माटी खरीद घोटाला के बारे म' पुच्छल गेल सवाल पर कहलनि कि ई बहुत छोट मामला अछि। हम देखैत छी एहि बारे म' केहेन कार्रवाई कएल गेल अछि। माटी खरीद घोटाला बहुत छोटा मामला अछि।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।