जीतनराम मांझी देलनि नीतीश कुमार क' बधाई, उपेंद्र कुशवाहा कहलनि कि हम एनडीए के संग रही आओर रहब

पटना। 01 अगस्त। बिहारक नवा सरकार के गठनक बाद हिन्दुस्तानी अवाम मोर्चा आओर रालोसपा के कुनु सदस्य क' मंत्री पद नहि भेटबा सँ नाराज जीतनराम मांझी आओर उपेंद्र कुशवाहा आब शांत देखकर द' रहल छथि। एक दिस जता पूर्व मुख्यमंत्री जीतनराम मांझी मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सँ भेंट करि हुनका बधाई देलनि ओतहि केंद्रीय मंत्री आओर रालोसपा सुप्रीमो उपेंद्र कुशवाहा सेहो कहलनि कि हम नीतीश कुमार संग छी। 

आए एनडीए म' मचल घमासान थमैत नजैर आएल। जीतनराम मांझी कहलनि कि मीडिया म' हमर नाराजगी के जे खबैर आएब रहल अछि वो सरासर गलत अछि। हमर समर्थन नीतीश कुमार के संग अछि आओर आगूओ रहत। जीतनराम मांझी कहलनि कि हम नवा सरकार के गठन सँ बहुत खुश छी आओर आबबिहार म' विकास के बयार बहत। ओम्हर रालोसपा के अध्यक्ष उपेंद्र कुशवाहा सेहो कहलनि कि नाराजगी जेहन कुनु बात नहि अछि। हम एनडीए के संग रही आओर आगूओ रहब।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने