निगम के एक अधिकारीक मुताविक बुकिंग शुरू अछि आओर बहुतो लोग ऐहिक बारे म' जानकारी सेहो प्राप्त क' रहल छथि। आगा ओ कहलनि कि इस बरख टूर पैकेजक लाभ पटना आओर गया दुनू जगह सँ भेटत। पटना सँ गया के पैकेज एक दिन आओर पटना सँ गया, बोधगया, राजगीर, नालंदा भ्रमण के बाद पटना वापसी के दू दिनक पैकेज अछि। एहि पैकेज म' श्रद्धालु सभक बोधगया म' रात्रि विश्राम सेहो शामिल अछि। ऐहिक अलावा पैकेज म' खानपान, होटल म' ठहरब, पूजाक सामग्री के संगे पंडा के दक्षिणा सेहो शामिल अछि। अधिकारी केँ मुताबिक निगम दिस सँ पटना सँ गया के लेल एक व्यक्तिक एक दिनक पैकेज 8,600 टाका अछि, जखन कि दू दिनक पैकेज के लेल एक व्यक्ति क' 10,500 ताका चुकबा परतैन्ह।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।