कटिहार। 03 अगस्त। नीतीश कैबिनेट म' मंत्री बांलाक बाद पहली बेर विनोद कुमार सिंह अप्पन गृह जिला पहुंचला। ऐता हुनकर भव्य स्वागत काएल गेल। समाहरणालय सँ ल'क' मंत्री विनोद कुमार सिंह के गाम तक रोड शो केर आयोजन काएल गेल।
खान एवं भूतत्व मंत्री विनोद कुमार सिंह एहि मौका पर कहलनि कि आब बिहार प्रगति के पथ पर चैल चुकल अछि। मुख्यमंत्री नीतीश केर अगुवाई म' बीजेपी-जेडीयू सरकार विकास के ऊंच पायदान पर पहुँचत। नवा सरकारक गठन के बाद शासन-प्रशासन चुस्त-दुस्त करबाक संगे संग विकासक काज क' गति देबाक कवायद तेज क' देल गेल अछि। सरकार राज्य के ईंट-भट्ठा समेत खनन माफिया सभ पर नजैर राखी रहल अछि आओर टैक्स चोरी करनिहार पर नकेल क़स्बाक तैयारी काएल जे रहल अछि।
अपने क' बता दी विनोद कुमार सिंह के रोड शो समाहरणालय लग हरिशंकर नायक उच्च विद्यालय के प्रांगण सँ शुरू होएत हुनक पैतृक गाम बड़ी बथना पहुंचल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।