सहरसा। 24 अगस्त। बिहार म' बाढ़ि सँ 26 आओर लोगक मौत भेलाक बाद मृतकक आंकड़ा 374 क' पार क गेल अछि। ओना तेँ ई आकड़ा 450 सँ बेसी अछि मुदा सरकारी आकड़ा केर मुताविक बाढ़ि सँ एखन धरी 374 लोगक मौत भेल अछि।प्रदेश म' बाढ़ि सँ19 जिलाक एक करोड़ 58 लाख 30 हजार आबादी प्रभावित भेल अछि। आपदा प्रबंधन विभाग सँ प्राप्त जानकारी केर मुताबिक पड़ोसी देश नेपाल आओर बिहार म' लगातार भेल भारी बारिश के कारण एकाएक आएल बाढ़ि 26 आओर लोगक मौत भ' गेल अछि। बाढ़ि सँ प्रदेश केँ 19 जिला किशनगंज, अररिया, पूणर्यिा, कटिहार, पूर्वी चंपारण, पश्चिमी चंपारण, दरभंगा, मधुबनी, मुजफ्फरपुर, सीतामढी, शिवहर, समस्तीपुर, गोपालगंज, सारण, सीवान, सुपौल, मधेपुरा, सहरसा आओर खगड़िया प्रभावित अछि।

बाढ़िक चपेट म' अएला सँ सभसँ बेसी अररिया म' 81, सीतामढ़ी आओर पश्चिमी चंपारण म' 37-37, कटिहार म' 36, मधुबनी म' 25, किशनगंज म' 24, दरभंगा म' 23, पूर्वी चंपारण, गोपालगंज आओर मधेपुरा म' 19-19, सुपौल म' 15, पूर्णिया म' 9, मुजफ्फरपुर, खगड़िया आओर सारण म' 77, शिवहर आओर सहरसा म' 45, समस्तीपुर म' एक लपगक मौत भेल अछि।
राज्य सरकार द्वारा बाढ़ि सँ घेराओल लोग सभके सुरक्षित निकालबाक काज युद्ध स्तर काएल जे रहल अछि। एखन धरी 7,66,357 लोग क' सुरक्षित स्थान पर पहुंचाओल गेल अछि आओर 696 राहत शिविर म' 2,29,097 लोग शरण लेना छथि। बाढ़ि राहत शिविर केँ अलावा एहेन लोग जे राहत शिविर म' नहि रहि रहल छथि, हुनका सभक लेल सामुदायिक रसोई घर चलाओल जे रहल अछि। एहि तरहे कुल 1,646 सामुदायिक रसोई घर चलाओल जे रहल अछि, जाहिमे 4,23,875 लोग क' भोजन कराओल जे रहल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।