प्रधानमंत्री मोदी सँ भेंट केला नीतीश, शरद यादव लेल कहलनि ओ निर्णय लेबाक लेल स्वतंत्र छथि

नई दिल्ली। 11 अगस्त। बिहार म' बीजेपी संग गठबंधन के बाद पहिल बेर  नीतीश कुमार दिल्ली म' प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी सँ भेंट केलनि। एहि दौरान दुनू गोटाक बिच बहुत रास मुद्दा पर चर्चा भेल।

अपने क' बता दी नीतीश कुमार के फैसला पर शरद यादव बिहार म' बिगुल फुकने छथि। शरद यादव के बिहार पहुंचलाक बाद नीतीश कुमार दिल्ली रवाना भ' गेलथि। शरद यादव के नाराजगी पर नीतीश कुमार कहलनि कि सभके जानकारी देबाक बाद ई निर्णय लेल गेल। शरद यादव अप्पन निर्णय लेबाक लेल स्वतंत्र छथि। 

ओतहि, पधानमंत्री सँ मुलाकात पर नीतीश कुमार कहलनि कि ई सिर्फ औपचारिक मुलाकात छल। अगस्त के आखिरी म' आएब बिहारक विकास केर मुद्दा पर बात करब। 

ओनाकि इयो कहल जे रहल अछि कि केंद्र म' मंत्रिमंडल विस्तार ल'क' नीतीश कुमार केर चर्चा प्रधानमंत्री मोदी संग भेल। एहि बेर मंत्रिमंडल विस्तार म' जेडीयू नेता सभके सेहो मोदी कैबिनेट म' जगह भेट सकैत अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने