डिपो प्रबंधक रमेश कुमार चौधरी कहलनि कि बरख 2013 म' खुजल एहि डिपो म' राखल गेल शराब क' प्रशासनिक अधिकारी सभक देख रेख म' नष्ट काएल गेल। नष्ट काएल गेल विभिन्न ब्रांड केर 10250 पेटी शराबक अलावा 743 बोतल अंग्रेजी शराब सेहो शामिल छल। जाहिके डिपो केर मुख्य द्वार पर नष्ट काएल गेल। नष्ट करबाक लेल बीयर केर बोतल सहित शराब केर बोतल क' जमीन पर एक जगह जमा काएल गेल आओर ओहिक ऊपर रोड रोलर चलाओल गेल।
शराब क' नष्ट करबाक सूचना पर आसपासक गाम केर लोग सभक भीड़ ओता जमा भ' गेल लेकिन पुका पर मौजूद पुलिस बल सभके डिपो सँ बाहर क' देलनि। नष्ट काएल गेल शराबक कीमत खुला बाजार म' करीब दू करोड़ सँ बेसी बताओल जे रहल अछि।
पहिल बेर जिला प्रशासन एतेक पैघ मात्रा म' शराब ' नष्ट करबाक कार्रवाई केलनि अछि। उत्पाद अधीक्षक रजनीश बतौलनि कि विभागीय नियमानुकूल शराब क' नष्ट काएल गेल अछि। एहि मौका पर डिपो प्रबंधक सहित सहायक लेखापाल उमेश चन्द्र मंडल, रमण, विनोद पासवान, उत्पाद विभाग केर अवर निरीक्षक प्रभुनाथ सिंह सहित सेप जवान मौजूद छलथि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।