कमला-बलान तटबंध के पश्चिमी इलाका म' बाढ़िक कहर बढ़ैत जे रहल अछि। मिथिलाक प्रसिद्ध शिव मंदिर कुशेश्वर महादेव परिसर म' सेहो बाढ़िक पैन प्रवेश क' गेल अछि संगहि शिव गंगाघाट परिसर पूरा तरहे डूबल अछि।
आपदा प्रबंधन विभाग केर मुताविक बाढ़ि प्रभावित इलाका सँ 4.64 लाख लोग क' सुरक्षित स्थान पर पहुचाओल गेल अछि। बाढ़ि प्रभावित इलाका म' 1,289 राहत शिविर लगाओल गेल अछि, जाहिमे करीब 3.92 लाख लोग शरण लेना छथि। अपने क' बता दी प्रदेश म' बाढ़िक कारण एखन धरी 236 लोगक मौत भ' चुकल अछि आओर लगभग 1.08 करोड़क आबादी बाढ़ि सँ प्रभावित अछि।
बताओल जे रहल अछि कि कुशेश्वरस्थान के कन्या छात्रावास परिसर आओर पानी टंकी भवन परिसर म' सेहो पैन भरल अछि। स्थानीय थाना पहिने सँ डूबल छल। प्रखंड के केवटगामा, महिसौर, भिंडुआ, कुशेश्वरस्थान दक्षिणी आओर सुधराइन पंचायत के अंतर्गत पड़ै बला गाम टापू म' बदैल गेल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।