एहि आपदा सँ निपटबाक लेल एनडीआरएफ केर 28 टीम 1152 जवान आओर 118 नौका संग, एसडीआरएफ केर 16 टीम 446 जवान आओर 92 नौका संग सेना केर 7 कालम 630 जवान आओर 70 नौका संग बचाव एवं राहत काज म' जुटल अछि। राज्य सरकार द्वारा बाढ़ि सँ घेराओल लोग सभके सुरक्षित निकालबाक काज युद्धस्तर काएल जे रहल अछि। एखन धरी 7,21,704 लोग क' बाढ़ि प्रभावित इलाका सँ सुरक्षित स्थान पर पहुँचाओल जे चुकल अछि आओर 1358 राहत शिविर म' 4,21,824 लोग शरण लेना छथि।
बाढ़ि राहत शिविर केर अलावा ओहेन प्रभावित लोग जे शिविर म' नहि रही रहल छथि हुनका सभक लेल सामुदायिक रसोईघर चलाओल जे रहल अछि। एखन धरी कुल 2569 सामुदायिक रसोईघर चलाओल जे रहल अछि जाहिमे 4,92,174 लोग क भोजन कराओल जे रहल अछि। बाढ़ि प्रभावित एहेन इलाका जे पूरा तरहे पैन सँ घेराओल अछि आओर जिनका निकालल नहि जे सकैत अछि हुनका सभक लेल हेलिकाप्टर केर माध्यम सँ कुल 71 खेप म' 3198 पैकेट 1,60,840 किलोग्राम सूखा राशन एयर ड्राप काएल गेल अछि। किछु इलाका म' बाढ़िक पैन घटबाक खबैर आएब रहल अछि।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।