समस्तीपुर : भारी मात्रा म' विदेशी शराब संग16 कारोबारी गिरफ्तार

समस्तीपुर। 23 अगस्त। बिहार म' शराब बंदी लागू होयबाक एक बरख बादो सूबे म' शराब केर तस्करी रुकबाक नाम नहि ल' रहल अछि। ओना  प्रशासन आओर पुलिस सेहो शराब कारोबारी सभके बेनकाब करबा म' कामयाब भ' रहल अछि। 

शराब तस्कर सभ पर नकेल क़स्बाक ताजा मामला विभूतिपुर थाना क्षेत्र के मोहम्मदपुर सकरा गामक अछि। पुलिस अधीक्षक केर निर्देश पर अवैध शराब कारोबारी सभक विरुद्ध चलाओल जे रहल अभियान केर तहत 16 अभियुक्त क' रंगल हाथ गिरफ्तार काएल गेल अछि। 

बताओल जे रहल अछि कि एक कंटेनर ट्रक, एक बोलेरो जीप, एक बोलेरो पिकप, आओर चारि गोट मोटरसाइकिल पर लादल 67 कार्टून म' राखल गेल विदेशी शराब केँ 1926 सील बंद बोतल केर संग सभ गिरफ्तार अभियुक्त क' गिरफ़्तार काएल गेल। निशानदेही केर आधार पर विभूतिपुर थाना क्षेत्र के मोहम्मद मुस्तकीमक घर म' नुका क' राखल गेल 8 कार्टून शराब सेहो बरामद काएल गेल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने