जमुई। 03 अगस्त। जमुई जिला म' आए गुरुवार तड़के तीन दर्जन सँ बेसी सशस्त्र नक्सली सभ हमला क' देलनि आओर दू केबिन मैन केर अपहरण क' लेलनि, ओनाकि बाद म' सीआरपीएफ कर्मचारी सभके मुक्त करेबा म' सफल रहल। ई घटना जतिनंदर हाल्ट स्टेशन पर घटित भेल। नक्सली सभ 'शहादत शपथ' प्रदर्शन म' दू केबिन मैन के अपहरण करबाक बाद रेलवे सेवा क' बाधित केलनि।
प्राप्त सूचनाक मुताबिक सीआरपीएफ के कोबरा बटालियनक पांच टीम पुलिस के साथ संयुक्त अभियान म' नक्सली सभक गोलीबारी के बाद रेलवे कर्मचारी क' मुक्त करौलनि। हमले के कारण व्यस्त पटना-हावड़ा सेक्शन पर छह से सात घंटा धरी रेलवे सेवा बाधित रहल। सीआरपीएफ के एक अधिकारी कहलनि कि आए भोर करीब सात बजे रेलवे सेवा के बहाली सँ पहिने रेलवे ट्रैक के पूरा तरहे जांच काएल गेल।
जमुई के पुलिस अधीक्षक जयंत कांत कहलनि कि आसपास के जंगली इलाका म' नक्सली सभक खिलाफ तलाशी अभियान शुरू काएल गेल। 28 जुलाई क' शुरू भेल नक्सली सभक 'शहीद सप्ताह' के आय अंतिम दिन थीक। 28 जुलाई 1972 दिन देश म' नक्सली आंदोलन क' शुरू करै बला चारु मजूमदार केर कोलकाता जेल म' निधन भो गेल छल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।