प्राप्त जानकारी केर मुताविक, फुलवरिया थाना इलाका के काजीपुर गाम म' एक युवती क' पहिने प्रेम प्रसंग के जाल म' फसाओल गेल, फेर दू बरख पहिने हुनका सँ कोर्ट म' निकाह काएल गेल। निकाह के बाद युवती जखन गर्भवती भ' गेली, तेँ पति हुनका संग रखबा सँ इनकार क' देलैन्ह। एतबे नहि, पति हुनका तीन तलाक कही घर सँ बेघर क' देलैन्ह।
पीड़िता आठ माह के गर्भवती छथि, हुनकर हालत गंभीर बनल अछि। महिला थाना के पुलिस पीड़िता क' इलाजक लेल सदर अस्पताल म' भर्ती करौलनि। ओतहि, एहि मामला म' पीड़िता केँ शिकायत के बाद आरोपी पति क' पुलिस गिरफ्तार क' लेलनि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।