गया म' नक्सली सभक तांडव, सामुदायिक भवन क' उड़ा देलनि

गया। 07 अगस्त। गया के उग्रवाद प्रभावित बाराचट्टी थाना क्षेत्रक सुदूरवर्ती इलाका धनगाई गाम म' पुलिस द्वारा धनगाई थाना खोलबाक प्रक्रिया चलैत छल। ऐहिक तहत सामुदायिक भवन के आसपास पुलिस क' रहबाक लेल आवास बनाओल जे रहल छल।

एहि आवास क' कैल्हि राति भाकपा माओवादी के सशस्त्र दस्ता द्वारा उड़ा देल गेल। एहि घटना के बाद आस-पास के क्षेत्र सभ म' निवास क' रहल लोग सभमे एक बेर फे सँ नक्सली सभक दहशत व्याप्त भ' गेल अछि। कैल्हि रविदिन मध्य राति म' लगभग 15-20 के संख्या म' पहुँचल नक्सली द्वारा सामुदायिक भवन क' विस्फोट करि उड़ा देल गेल।

अपने क' बता दी नक्सली सामुदायिक भवन म' बनै बला पुलिस पिकेट क' नहि बने देबा चाहैत अछि किएक जे यदि एहि जगह पर पुलिस पिकेट बनल तेँ नक्सली सभक लेल आगू मुसीबत ठाढ़ भ' जाएत।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने