फेर सामना आएल रेलवे के खाना के हकीकत, ब्रेड पकौड़ा म' भेटल कीड़ा

दरभंगा। 07 अगस्त। नियंत्रक आओर महालेखा परीक्षक (सीएजी) केर रिपोर्ट म' रेलवे के खाना ल'क' काएल गेल आलोचना बला मामला ठंडा नहि पड़ल कि रेलवे के खराब खानाक आओर एक मामला सामना आएल अछि। बिहार सम्पर्क क्रांति एक्सप्रेस म' एक यात्री के ब्रेड पकौड़ा म' कीड़ा भेटला सँ फेर रेलवे के किरकिरी भेल अछि। ट्रेन के पेंट्री कार के कर्मचारी  यात्री क' ई ब्रेड पकौड़ा देना रहथिन।

मोहम्मद आजाद अली ट्रेन के एस-9 कोच म' यात्रा करैत रहथिन। ओ ट्रेन के पेंट्री कार सँ ब्रेड पकौड़ा के ऑर्डर देलनि, मुदा जखन ब्रेड पकौड़ा सर्व काएल गेल तेँ ओहिमे कीड़ा देख ओ हैरान भ' गेलथि। मोहम्मद आजाद अली बिहार स' नई दिल्ली जेबाक लेल ट्रेन म' सवार भेल छला। 

अपने क' बता दी खराब खाना के वजह सँ रेलवे केफजीहतक ई पहिल मामला नहि थीक। एहिसँ पहिनो सीएजी अप्पन रिपोर्ट म' कहने छल कि रेलवे के खाना 'इंसानी इस्तेमाल' लायक नहि होएत अछि। ऐहिक बाद रेल मंत्री ट्वीट करि रेलवे के नवा  कैटरिंग पॉलिसी के बारे म' जानकारी देना छथि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने