सदर अस्पताल के बेरहम चेहरा, दर्द सँ कराहैत महिला क' बिना देखना केलक रेफर

सहरसा। 28 अगस्त। कोसी प्रमंडल के पीएमसीएच कहै जाय बला सदर  अस्पताल म' मानवता क' शर्मसार करै बला घटना सामना आएल अछि। जता प्रसव पीड़ा सँ कराहैत एक महिला क' भर्ती करबा तँ दूर, डॉक्टर सभ हुनका देखब मुनासिब नहि बुझलनि आओर हुनका रेफर क' देलनि।  
एतबे नहि, बताओल जे रहल अछि कि अस्पताल प्रशासन द्वारा उक्त महिला लेल एंबुलेंस तक उपलब्ध नही कराओल गेल। बाद म' घरक दू गोटा उक्त महिला क' टांगी क' ईरिक्शा म' बैसा क' निजी नर्सिंग होम ल' जाएल गेल, जता प्रसव केर दैरान बच्चा केर मौत भ' गेल।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने