ट्रेनक ब्रेड पकौड़ा म' कीड़ा भेटलाक बाद पैंट्रीकार कंट्रैक्टर केर लाइसेंस रद्द

दरभंगा। 08 अगस्त। दरभंगा - नई दिल्ली बिहार संपर्क क्रांति एक्सप्रेस ट्रेन के यात्री सभक खान-पान ल'क' काएल गेल शिकायत पर पूर्व मध्य रेलवे द्वारा ट्रेन के पैंट्रीकार कंट्रैक्टर केर लाइसेंस रद्द क' देल गेलनि। पूर्व मध्य रेलवे के मुख्य जनसंपर्क अधिकारी राजेश कुमार कहलनि कि बिहार संपर्क क्रांति एक्सप्रेस ट्रेन के यात्री सभ द्वारा खान-पान सँ संबंधित शिकायत म' लगातार भ' रहल वृद्धि क' देखैत ई डेग उठाओल गेल। 

राजेश कुमार कहलनि कि प्राप्त शिकायत केर विरुद्ध उपरोक्त कंट्रैक्टर क' चेतावनी आओर आर्थिक दंड लगेबाक बादो खान-पान सेवा म' कुनु सुधार नहि भ' रहल छल। एहि क्रम म' गत 2 अगस्त दिन गाड़ी संख्या 12565 दरभंगा - नई दिल्ली बिहार संपर्क क्रांति एक्सप्रेस म' यात्री सभसँ  खान - पान म' बरतल जे रहल लापरवाही सँ संबंधित शिकायत भेटल। जाहिके  गंभीरता सँ लैत पूर्व मध्य रेलवे प्रशासन द्वारा एहि ट्रेन के पैंट्रीकार कंट्रैक्टर मेसर्स आर.के.असोसिएट ऐंड होटेलियर्स प्राइवेट लिमिटेड केर  अनुबंध समाप्त करबाक निर्णय लेल गेल। 

आगा ओ कहलनि कि आब आए 08 अगस्त स' गाड़ी संख्या 12565-12566 दरभंगा- नई दिल्ली-दरभंगा बिहार संपर्क क्रांति एक्सप्रेस के  खान-पान व्यवस्था आईआरसीटीसी द्वारा संचालित काएल जाएत। अपने क' बता दी किछु दिन पहिने एहि ट्रेन के एक यात्री द्वारा ब्रेड पकौड़ा म' कीड़ा भेटबाक शिकायत काएल गेल छल।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने