मिथिलांचल केँ धरोहर सभक रक्षा के लेल एक सक्षम नेतृत्वक जरुरत : पप्पू यादव

दरभंगा। 07 अगस्त। जन अधिकार पार्टी के नेता सह मधेपुरा के सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव कहलनि कि मिथिलांचल के गौरवशाली परंपरा आओर धरोहर सभक रक्षा के लेल आए एक सक्षम नेतृत्व केर  जरुरत अछि। पप्पू यादव कैल्हि रविदिन कामेश्वरनगर स्थित चौरंगी पर इसमाद के बैनर तर आम लोग सभ म' जागृति उत्पन्न करबाक लेल सुविख्यात हेरिटेज फोटोग्राफर संतोष कुमार के फोटोग्राफी प्रदर्शनी के उद्घाटन समारोह क' संबोधित करैत रहथिन।

पप्पू यादव कहलनि कि मिथिला के धरोहर गौरवशाली रहल अछि, मुदा वर्तमान म' अंधकारमय बनल अछि। जे एक निराशा के भाव उत्पन्न करैत अछि।  करता है। पप्पू यादव इतिहास म' झांकबाक बजाए एक एहेन समाजक निर्माण केर जरुरत पर बल देलथि, जे एहि सभक गंभीरता क' बुझैत अप्पन एक एहेन नायक चुनबा म' सक्षम होएथ। जे समय अएला पर ऐहिक आवाज क' पटना आओर दिल्ली तक पहुँचेबा म' सक्षम होएथ।

कार्यक्रम म' बतौर विशिष्ठ अतिथि केर रूप म' पहुँचल सांसद पप्पू यादव कहलनि कि बिना मिथिलांचल के समुचित भागीदारी सुनीश्चित केना बिना  बिहार म' कुनू सरकार नहि बैन सकैत अछि। मुदा, राजनीतिक संवेदनशीलता के अभाव म' सक्षम नेतृत्व केर निर्माण करब एता एखन धरी संभव नहि भ' सकल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने