शरद यादव केर गुट ठोकलनी ताल, 18 सितंबर क' दिल्ली म' होएत JDU केर राष्ट्रीय अधिवेशन

पटना। 29 अगस्त। असली आओर नकली जेडीयू केर लड़ाई आब जमीन पर आएब गेल अछि। एक दिस नीतीश कुमार बागी शरद यादव केर  खिलाफ कार्रवाई करबाक तैयारी क' रहल छथि तेँ दोसर दिस शरद यादव  18 सितंबर क' दिल्ली के तालकटोरा स्टेडियम म' पार्टीक राष्ट्रीय अधिवेशन बजेना छथि।

शरद गुट केर नेता अरुण श्रीवास्तव कहलनि कि शरद यादव पार्टी विरोधी कुनु काज नहि केना छथि। शेड्यूल 10 म' शरद यादव केर फैसला पार्टी विरोधी नहि अछि। आगा ओ कहलनि कि मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अप्पन राष्ट्रीय अधिवेशन म' कहने छला संघ मुक्त भारत बनेबाक अछि।

जेडीयू प्रवक्ता सभके अरुण श्रीवास्तव नसीहत दैत कहलनि कि जे पार्टी बनेलनि आओर हुनका नेता बनेलनि, हुनका खिलाफ बाजै सँ पहिने एक बेर जरूर सोची।

अरुण श्रीवास्तव कहलनि कि 18 सितंबर क' दिल्ली के तालकटोरा स्टेडियम म' जेडीयू केर राष्ट्रीय अधिवेशन बजाओल गेल अछि। एहि  अधिवेशन म' राष्ट्रीय अध्यक्ष केर सेहो चुनाव होएत।  एहि अधिवेशन म' नीतीश कुमार समेत सभ बड़का नेता लोकनि क' आमंत्रित काएल जाएत।  

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने