बाढ़ि प्राकृतिक नहि, राजनीतिक आपदा आओर लूटक जरिया थीक : सांसद पप्पू यादव

पटना। 29 अगस्त। जन अधिकार पार्टी केर संरक्षक आओर मधेपुरा केर सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव कहलनि कि बिहारक बाढ़ि प्राकृतिक नहि, राजनीतिक आपदा थीक। बाढ़ि हर बरख अरबों-खरबों टाका लुटबाक जरिया बैन गेल अछि। पप्पू यादव कहलनि कि बाढ़ि म' राहत, बचाव आओर पुनर्वास केर नाम पर नेता, अधिकारी आओर ठेकेदार सभके लुटबाक मौका भेट जैत छैन्ह। आगा ओ कहलनि कि प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी बाढ़िक विभीषिका केँ हवाई सर्वेक्षण केलनि आओर अधिकारी सभक संग बैठक सेहो केलनि।  मुदा बाढ़ि सँ उत्पन्न स्थिति म' राहत आओर पुनर्वास के लेल मात्र 500 करोड़ टाका देलनि। 

पप्पू यादव एहि राशि क' त्रासदी केर अपेक्षा नगण्य बतबैत कहलनि कि बिहार के 19 जिलाक दू करोड़ आबादी बाढ़िक चपेट म' अछि। एहिबेरक तबाही भयावह अछि। ऐहिके राष्ट्रीय आपदा घोषित करबाक चाहि, मुदा  प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी नहि केलनि। ई दुर्भाग्यपूर्ण थीक। बाढ़िक त्रासदी म' लगातार पीड़ित सभक बीच रहे बला पप्पू यादव कहलनि कि फरक्का बैराज केर नवनिर्माण आओर कोसी म' हाईडैम केर निर्माणक बिना बिहार क' बाढ़ि सँ मुक्ति नहि भेटत। प्रधानमंत्री एहि मुद्दा पर कुनु बात नहि केलनि। 

आगा ओ कहलनि कि जन अधिकार पार्टी अप्पन स्थापना दिवस पर 31 अगस्त क' संघर्ष दिवस केर रूप म' मनाएत आओर एहि दिन सँ फरक्का बैराज केर नवनिर्माण आओर कोसी म' हाईडैम केर निर्माणक लेल आंदोलन शुरू करात। पप्पू यादव दावा करैत कहलनि कि बाढ़िक कारण 30 बांध टूटल, जाहिसँ लाखों लोग बेघर भेलथि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ