गोपालगंज म' गंडक केर कहर जारी, कटाव सँ उजड़ी रहल अछि आशियाना

गोपालगंज। 30 अगस्त। गंडक केर कटाव रोज नवा गाम म' तबाही मचा रहल अछि। कुचायकोट केँ कालामटिहनिया के बाद गंडक केर कटाव सदर प्रखंडक भसही गाम म' तेज भ' गेल अछि। कटाव केर कारण सँ लोग अप्पन बनाओल आशियाना उजैर रहल छथि।

एहि गामक उपस्वास्थ्य केंद्र आओर सरकारी स्कूल गंडक म' विलीन होयबाक कगार पर अछि। एहि सरकारी भवन सँजरुरी कागजात आओर  सामान खाली करबाक आदेश देल गेल अछि। भसही गाम म' लगभग  500 परिवार रहैत अछि। मुदा आब एहि गाम म' कियो देखकर नहि दैत छथि।

अस्थानीय लोग सभक मुताविक एखन धरी एहि गामक 40 घर गंडक म' विलीन भ' चुकल अछि। मौका पर मौजूद जलसंसाधन विभाग केर  कार्यपालक अभियंता नवल किशोर सिंह केर मुताबिक ऐता भसही गाम म' गंडक केर कटाव तेज अछि। कटाव रोकबाक लेल कटाव निरोधी काज कराओल जे रहल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने