दाना - दाना लेल मोहताज छथि बाढ़ि पीड़ित, सरकारी राहत पहुंचते लेबाक लेल मचैत अछि होड़

पूर्णिया। 17 अगस्त। बिहार म' सरकारी आंकड़ा  केर मुताबिक 70 लाख लोग बाढ़ि सँ प्रभावित अछि। मुदा, हकीकत म' बिहारक चौदह जिला म' एक करोड़ सँ बेसी लोग बाढ़ि सँ प्रभावित अछि। एखन धरी सरकार द्वारा पचुचाओल जे रहल राहत सामिग्री कम परी रहल अछि। 

ऐहिक अंदाजा पूर्णिया जिला स्थित बायसी प्रखंड म' लगाओल जे सकैत अछि, जता सरकारी गाड़ी के पहुंचते लोग खाध सामग्री लेबाक लेल टूईट पड़ैत छथि। बताओल जे रहल अछि खाद्य सामग्री बांटे पहुँचल गाड़ी क' बाढ़ि पीड़ित सभ द्वारा लूईट लेल गेल। लुटनिहार ओ सभ छथि जिनका घर म' खेबाक लेल किछु नहि बचल अछि।

ई दृश्य सिर्फ पूर्णिया केर नहि अछि। सभ बाढ़ि प्रभावित इलाकाक  हकीकत इए अछि, जता राहत सामग्री पहुंचते लोग लूईट ल' रहल छथि। ऐना म' पीड़ित सभक स्थिति केर अंदाजा लगाओल जे सकैत अछि, कोना  लोग भूख सँ तड़ैप रहल छथि। ओ ऐहिक लेल जे चहुओर अगबे पैने पैन अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने