सुच्चा मैथिल द्वारा शहीद रामफल मंडल केर शहादत दिवस पर श्रद्धा सुमन अर्पित कयल गेल

मुंबई। 26 अगस्त। [दिगम्बर शर्मा] पछिला बुध दिन मुम्बईक उपनगरीय क्षेत्र वसई-विरारक नालासोपारा स्थित वाकनपाड़ा में आ मुम्बईक घाटकोपर स्थित असल्फा गाँव मे "सुच्चा मैथिल(पंजी)" सामाजिक संगठन द्वारा स्वतंत्रता सेनानी आ मिथिलाक सपूत रामफल मंडल केर शहादत दिवस पर हुनकर वीरता के याद करैत दु मिनट के मौन धारण कय श्रद्धापूर्वक पुष्प अर्पित कयल गेल।

एहि कार्यक्रमक दौरान संगठन के राष्ट्रीय अध्यक्ष राम नरेश शर्मा अपन वक्तव्य में सबके संबोधित करैत शहीद रामफल मंडल जीक जीवनी सँ अवगत करबैत कहलनि, जे देशक आजादी लेल क्रांतिकारी अंग्रेजक केआटा अधिकारी के ग्रासा सँ कायट हत्या कय देने छलाह ताहि लेल हुनका अंग्रेज सरकार भागलपुर केंद्रीय जेल में वर्ष 1942 ईसवीं में 23 अगस्त के फाँसीक फंदा पर लटका देलकैन।

सामाजिक विडम्बना देखु जे अनेकों क्रांतिकारी के फांसी पर लटका देल गेलैन मुदा गिनले चुनल लोक के शहीद जकाँ सम्मान होय छैन आ एहि सूची सँ एखनो धरि शहीद रामफल मंडल जीके दूर राखल गेल अछि। इयैह अन्याय के न्याय लेल धानुक समाज सहित समस्त सुच्चा मैथिल समाज संघर्षरत छथि, जे आन शहीदक भाँति हिनको सरकारक दिश सँ शहिदक दर्जा भेटनि आ शहीद भगत सिंह, चंद्रशेखर आजाद, खुदीराम बोस आदि जकाँ चौक-चौराहा औरों जगह पर हुनक प्रतिमा लागनि।

एहि कार्यक्रम में भाग लेबैक लेल राष्ट्रीय अध्यक्ष राम नरेश शर्मा, राष्ट्रीय सचिव मदन शर्मा, महाराष्ट्र महासचिव सुशील मंडल, महाराष्ट्र कोषाध्यक्ष दिगम्बर शर्मा, विजय शर्मा, पवन शर्मा, संतोष शर्मा आ असल्फा में सेहो प्रदेश महासचिव सुशील मंडल जीक संग मनोज मंडल, मोहन यादव जी, राजकुमार राम, बिकाऊ राम, संतोष यादव, पंकज यादव, विनोद राम, सुशील मंडल, साहिल भाई, चंदन मंडल सहित दुन्नु जगह सुच्चा मैथिल सदस्य सब पहुँच शहिद रामफल जी केँ श्रद्धा सुमन अर्पित करैत हुनका स्मरण केलनि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने