अपने क' बता दी पड़ोसी देश नेपाल आओर बिहार म' लगातार भेल भारी बारिश केर कारण एकाएक आएल प्रलयंकारी बाढ़ि सँ सूबे म' एखन धरी 74 लोगक मौत भ' चुकल अछि। भीषण बाढ़ि म' बिहारक 14 जिलाक 73.44 लाख आबादी प्रभावित भेल अछि। केंद्रीय खाद्य मंत्री कहलनि कि ओ बिहार म' बाढ़िक लेल प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी सँ चर्चा केलनि। प्रधानमंत्री आश्वासन देलनि कि केंद्र बाढ़ि प्रभावित सभक मदैद लेल हरसंभव प्रयास क' रहल अछि।
एहि बिच आपदा प्रबंधन विभाग केर विशेष सचिव अनिरुद्ध कुमार बतौलनि कि बाढ़ि प्रभावित प्रदेश केर 14 जिला म' सभसँ बेसी 22 लोगक मौत अररिया म' भेल अछि। सभ जिला म' बाढ़ि म' घेराओल लोग सभके सुरक्षित निकालबाक लेल युद्ध स्तर पर काज काएल जे रहल अछि। एखन धरी 2.74 लाख लोग क' सुरक्षित स्थान पर पहुँचाओल गेल अछि आओर 504 राहत शिविर म' 1.16 लाख लोग शरण लेना छथि।
प्राप्त सुचना केर मुताविक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आए उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी संग बाढ़ि प्रभावित बेतिया आओर वाल्मीकिनगर केर हवाई सर्वेक्षण करै बला रहथिन। मुदा खराब मौसम केर कारण उड़ान नहि भरल गेल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।