मधुबनी। 16 अगस्त। प्रलयकारी बाढ़ि सँ बिहारक 13 जिला प्रभावित अछि। मुख्यमंत्री, मंत्री, विधायक आओर अधिकारी तक बचाव काज म' लागल छथि। सभ कियो बाढ़ि ग्रस्त इलाका केर दौरा क' रहल छथि। एहि बीच मधुबनी के लौकहा सँ जेडीयू विधायक लक्ष्मेश्वर राय के ई फोटो सोशल मीडिया पर वायरल भ' रहल अछि। बताओल जे रहल अछि कि विधायक जी अप्पन विधानसभा के बाढ़ि ग्रस्त इलाकाक दौरा करे गेल छथि।
बताओल जे रहल अच्छी कि विधायक जी बाढ़ि ग्रस्त इलाकाक दौरा करबाक दौरान अप्पन अंगरक्षक संग बाढ़ि सँ टूटल सड़क लग हँसैत मुद्रा म' फोटो खिचौलनि आओर ओकरा फेसबुक पर अपलोड केलनि। ऐहिक बाद ई फोटो सोशल मीडिया पर वायरल भ' गेल।
अपने क' बता दी कि मधुबनी जिला लगभग पूरा तरहे बाढ़ि सँ प्रभावित अछि। तटबंध आओर सड़क टूईट गेल अछि। दर्जनों गाम टापू बैन गेल अछि। बाढ़ि सँ जिला म' एखन धरी 4 गोटाक मौत भ' चुकल अछि आओर कैको लापता बताओल जे रहल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।