भारी बारिश केर कारण सहरसा - पूर्णिया केँ बीच रेल परिचालन ठप

सहरसा। 17 अगस्त। सहरसा - पूर्णिया केँ बीच रेल परिचालन कैल्हि राति  सँ ठप भ' गेल अछि। बनमनखी - सरसी के बीच रेल पटरी पर बारिशक पैन जमा भेलाक कारण कैल्हि राति एक बजे सँ एहि रेल खंड पर परिचालन ठप भ' गेल अछि। फिलहाल सहरसा स' पूर्णिया रेल खंडक बीच बनमनखी धरी ट्रेन चलाओल जे रहल अछि। सहरसा सँ कटिहार वा  पूर्णिया के बीच चलै बला सभ ट्रेन क' बनमनखी स्टेशन धरी चलाओल जे रहल अछि।

बनमनखी - सरसी के बीच रेल पटरी पर बारिशक पैन जमा भेला सँ पूर्णिया स' बनमनखी के बीच रेल परिचालन पूरा तरहे ठप अछि। सहरसा स' पूर्णिया के बीच चलै बला 55564 पैसेंजर ट्रेन क' रद्द काएल गेल अछि। जखनकि 55584, 55572 पैसेंजर ट्रेन सहित जानकी आओर कोसी ट्रेन बनमनखी धरी चलाओल जे रहल अछि।

हाटे बजारे एक्सप्रेस ट्रेन रद : सहरसा - सियालदह के बीच चलै बला हाटे बजारे एक्सप्रेस ट्रेन क' कैल्हि बुधदिन रद्द काएल गेल। ओनाकि ई ट्रेन सहरसा सँ रद्द होयबाक स्थिति म' कटिहार के प्राणपुर रोड स्टेशन सँ चलाओल जेत। ई ट्रेन सहरसा - प्राणपुर रोड स्टेशन के बीच रद्द रहत।

भारी बारिश के कारण पूर्व मध्य रेलवे आओर पूर्वोत्तर सीमांत रेलवे के कैको रेलखंड पर पैन जमा भेलाक कारण सँ कैको रेलखंड पर रेल  परिचालन स्थगित काएल गेल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने