अपने क' बता दी वित्त मंत्री अरुण जेटली केँ प्रेस कॉन्फ्रेंस म' जखन सुरेश प्रभु के इस्तीफा लेल सवाल काएल गेल तेँ ओ कहलनि कि प्रधानमंत्री एहि संबंध म' फैसला लेथिन। एक वरिष्ठ अधिकारी केर मुताबिक सरकार क' एहि बातक अनुमान नहि छल कि सुरेश प्रभु प्रधानमंत्री सँ भेट आओर इस्तीफा केर पेशकशक बारे म' ट्वीट करथिन।
प्राप्त सूचनाक मुताविक रेल मंत्रालय केर अलावा कृषि मंत्रालय म' सेहो बदलाव काएल जे सकैत अछि। सरकारक ध्यान आब कौशल विकास आओर उद्यम क' बढ़ावा देबा पर अछि। एखन पर्यावरण मंत्रालय अतिरिक्त प्रभार केर अंतर्गत चलाओल जे रहल अछि। संभव अछि कि एहि मंत्रालय केँ लेल सेहो मंत्री नियुक्त काएल जाएत। रक्षा मंत्रालय केर अतिरिक्त प्रभार सेहो अरुण जेटली लग अछि। ऐना म' रक्षा मंत्री केँ सेहो नियुक्ति करबाक पूरा संभावना अछि। कैबिनेट म' ई यह फेरबदल एहिलेल महत्वपूर्ण अछि कीएकजे 2019 के आम चुनाव सँ पहिने योजना सभके जनता तक पहुंचायब सरकार लेल जरुरी भ' गेल अछि।
प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी 3 सितंबर क' चीन आओर म्यांमार केर दौरा पर निकलथिन। एहिसँ पहिने मंत्रिमंडल म' फेरबदल संभव अछि। नवा मंत्रिमंडल म' जेडीयू के नेता सभ सेहो शामिल काएल जे सकैत अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।